माँ का आशीर्वाद गद्य खण्ड अध्याय - 1 मिथिलाक सांस्कृतिक सीमा
(1) मिथिलाक सांस्कृतिक सीमा लेखक छथि Ans: रामलोचन शरण
(2) राष्ट्रभाषा ओ मातृभाषा लेखक केँ छथि Ans: भोला लाल दास
(3) जवाहर: जेहन देखलहुँ जेहन पओलहुँ लेखक छथि Ans: जयकान्त मिश्र
(4) चन्द्रमुखी कहानीक लेखक केँ छथि Ans: लिली रे
(5) मोहन कहानीक लेखक केँ छथि Ans: राण मोहन झा
(6) पर्यावरण कहानीक लेखक केँ छथि Ans: दिनेश्वर लाल आनन्द
(7) भारतीय संविधान निर्माता डॉ० बी० आर अम्बेडकर कहानीक लेखक केँ छथि Ans: भाग्य नारायण झा
(8) क्रैक कहानीक लेखक केँ छथि Ans: उमाकान्त
(9) भारतीय स्वतंत्रता एवं संविधानक रूपरेखा लेखक केँ छथि Ans: रत्नेश्वर मिश्र
(10) लेमराह अन्हारमे एकटा इजोत कहानीक लेखक केँ छथि Ans: महेन्द्र मलंगिया
(11) बाबाक आत्मीयता कहानीक लेखक केँ छथि Ans: अशोक
(12) भरि जीपा भात कहानीक लेखक केँ छथि Ans: विभारानी
पाठ - 1 सांस्कृतिक सीमा मिथिलाक
(1) मिथिला केँ बसौने छलाह Ans: मिथिला केँ राजर्षि निमिक पुत्र मिथि बसौने छलाह
(2) मिथिलाक नमती कतेक अछि Ans: मिथिलाक नमती चौबीस योजन अर्थात छियानब्बे कोस अछि
(3) मिथिलाक चकराइ कतेक अछि Ans: मिथिलाक चकराइ सोलह योजन अर्थात चौसठि कोस अछि
(4) मिथिलाक गौरव पुरुष केँ छलाह Ans: रामलोचन शरण
(5) रामलोचन शरणक जन्म कहिया आओर कतऽ भेलनि? Ans: रामलोचन शरणक जन्म 1891 ई० मे जगदीशपुर (शाहाबाद) मे भेलनि
(6) रामलोचन शरणक पुरखा लोकनि कतऽ आबि केँ बसि गेलाह Ans: मिथिला आबि केँ बसि गेलाह
(6) अनेकता मे एकता कोन देशमे अछि Ans: अनेकता मे एकता भारत देशमे अछि
(6) भारत स्वतंत्र कहिया भेल Ans: 1947 ई० मे भेल
(7) भारत छोड़ो (अगस्त क्रांति) कहिया भेल? Ans: 1942 ई० मे भेल
(8) रिक्त स्थानो की पूर्ति करे
(i) मैथिली मिथिलामे लोक मातृ - भाषा अछि
(ii) सरकार बुझैत अछि जे हिन्दी मैथिलीक भाषा आ वर्तनी मात्रक अछि
(9) महात्मा गाँधीक मातृभाषा कि छल? Ans: महात्मा गाँधीक मातृभाषा गुजराती छलनि
(10) वर्धा योजना कि छिक Ans: राष्ट्रपति डॉ० जाकिर हुसेनक अध्यक्षता मे एक समितिक निर्माण कयल गेल आ तकरा द्वारा भाषाक विषय मे त्रिभाषा सिद्धांतक एक योजना स्वीकृत भेल एकरे नाम पड़ल वर्धा योजना
(11) तेलगु मलयालम ओ कन्नड़ कोन कोन राज्यक लोकक मातृभाषा अछि Ans: तेलगु मलयालम ओ कन्नड़ दक्षिण भारतक तेलगु मलयालम और कन्नड़ आ उत्तर भारतक मराठी, गुजराती, बंगला, मैथिली, हिन्दी आदि बड़ उन्नत आ प्रसस्त भाषा अछि
(12) मातृभाषाक सम्बन्धमे महात्मा गाँधीक विचार स्पष्ट करू? Ans: मातृभाषाक सम्बन्धमे महात्मा गाँधीक विचार ई अछि जे सब राष्ट्र केँ अपन अपन मातृभाषा होइत अछि। अहिमे महात्मा गाँधी कहै छथि जे मातृभाषा ओ राष्ट्रभाषा आओर विश्वभाषा तीनटा भाषा अछि। मुदा कतहुँ सँ आदान प्रदान आओर लेनदेन केँ लेल हम सब हिन्दी मे राष्ट्रभाषा मानि लेब, ताहिसँ समस्त भारत मे बातचीत करब
(13) त्रिभाषा सिद्धान्तक अर्थ स्पष्ट करू Ans: त्रिभाषा सिद्धान्तक अर्थ होइत अछि जे तीनटा भाषा मातृभाषा राष्ट्रभाषा आओर विश्वभाषा अनिवार्यता एवं एहि तीनुक भाषाकेँ त्रिभाषा कहल जाइत अछि
(14) हिन्दीक समस्या पर लेखकक विचार स्पष्ट करू Ans: हिन्दी समस्या पर लेखकक विचार ई अछि जे जाहरि हिन्दी मे राष्ट्रभाषा नहि मानब ताहरि हमरा देशक विकास नहि होइत सब राज्यक अपन अपन मातृभाषा होइत अछि। हिन्दीक बिना हम समस्त भारतकेँ आदान प्रदान आओर बातचीत नहि कऽ सकैत छी। अहि हिन्दी केँ राष्ट्रभाषा मानी अपन अपन काज चलाओत
(15) मैथिलीक भविष्य पर लेखकक विचार स्पष्ट करू Ans: मैथिलीक भविष्य पर लेखकक विचार ई अछि जे त्रिभाषा सिद्धान्त एतवा स्पष्ट कयने अछि आ अहिसँ उत्तम कोनो समाधानो नहि अछि। जे निम्नवर्ग सँ किछु ऊपर धरि शिक्षाक माध्यम विद्यार्थी वर्गक मातृभाषा हो यदि अहि मे किछु साहित्य पौल जाए आ साहित्यिक सर्जनात्मक शक्तियो वर्त्तमान रहैत
अध्याय - 3 जवाहर जेहन देखलहुँ जेहन पओलहुँ
(1) जवाहर जेहन देखलहुँ जेहन पओलहुँ कहानीक लेखक केँ छथि Ans:- जयकांत मिश्र छथि।
(2) जयकांत मिश्रक जन्म कहिया आओर कतऽ भेलनि ? Ans:- जयकांत मिश्रक जन्म मधुबनी जिलाक गंगहरा गाम मे 20 नम्बर 1922 ई० मे भेलनि।
(3) जयकांत मिश्रक पितामहक नाम की छलनि ? Ans:- महामहोदय (म० म०) उपाध्याय जयदेव मिश्र छलाह।
(4) जयकांत मिश्रक पिताक नाम की छलनि ? Ans:- म० म० उमेश मिश्र छलथिन।
(5) जयकांत मिश्र केँ पी० एच० डी० कऽ उपाधि कथि पर भेटलनि ? Ans:- ए हिस्ट्री आँफा मैथिली लिटरेचर शोध प्रबन्ध पर हुनका पी० एच० डी० कऽ उपाधि भेटलनि।
(6) जयकांत मिश्र केँ भाषा समान कतऽ सँ भेटलनि Ans:- जयकांत मिश्र केँ साहित्य अकादेमी नई दिल्ली द्वारा भाषा सम्मान भेटलनि।
(7) जवाहर जेहन देखलहुँ जेहन पओलहुँ इ निबन्ध कोन पत्रिका सँ लेल गेल अछि। Ans:- भारवा पत्रिकासँ लेल गेल अछि।
(8) इलाहाबाद अखिल भारतीय मैथिली साहित्य द्वारा दसटा दुर्लभ प्राचीन मैथिली पोथी सभ प्रकाशित कयल गेल छल Ans:- 1961 ई० मे
(9) इतिहासक प्रसिद्ध विद्वान केँ छलाह यानी इतिहासक पिता ककरा कहल गेल अछि ? Ans:- डॉ० ईश्वरी प्रसाद
(10) लेखक किनका सँ विशेष प्रभावित भेलाह ? Ans:- लेखक पंडित जवाहर लाल नेहरू सँ विशेष प्रभावित भेलाह। किएक तऽ पं० जवाहर लाल सँ भेट भेलाह सँ मैथिलीक विकास भेल। अहि लेल लेखक जवाहर लाल नेहरू सँ विशेष प्रभावित भेलाह।
(11) साहित्य अकादेमी मे मैथिलीक प्रवेशक विषयमे लेखक किनका सँ भेटलनि। Ans:- साहित्य अकादेमी मे मैथिलीक विषयमे लेखक पं० जवाहर लाल नेहरू सँ भेटलनि। आओर मैथिलीक उन्नति कोना होयत तकरे बारे मे गप्प सप्प होयत कि हमर मैथिलीक उन्नति कोना होयत।
(12) 1962 ई० मे साहित्य अकादमीक सचिव केँ छलाह ? Ans:- 1962 ई० मे साहित्य अकादमीक सचिव कृष्णा कृपलानी छलाह।
(13) 21 दिसम्बर 1961 ई० कें समितिक अध्यक्ष केँ छलाह ? Ans:- 21 दिसम्बर 1961 ई० कें समितिक अध्यक्ष पंडित जवाहर लाल नेहरू छलाह।
(14) 21 दिसम्बर 1961 कें समितिक सचिव केँ छलाह ? Ans:- 21 दिसम्बर 1961 कें समितिक सचिव कुमार वैद्यनाथ चौधारी छलाह।
(15) पंडित जी ऊपरका महल पर सँ कतेक मिनट मे पहुँचत ? Ans:- पंडित जी ऊपरका महल पर सँ 3-4 मिनट मे नीचे पहुँचत।
(16) साहित्य अकादेमीक उपाध्यक्ष केँ छलाह ? Ans:- साहित्य अकादेमीक उपाध्यक्ष डॉ० राधा कृष्ण छलाह।
(17) बैसारी कतेक बजे भेलनि ? Ans:- बैसारी चारि बजे भेलनि।
(18) कार्यसूचीक पर राखल पत्र कतेक पृष्ठ मे छलाह ? Ans:- चारि पृष्ठ मे
(19) सभा मे कतेक गोट लोक छलाह ? Ans:- सभा मे 80 गोट लोक छलाह।
(20) घंटी कतेक बजे टनटन कऽ रऽ लगएलनि आओर पंडित कतेक बजे आयलनि ? Ans:- दिवाल घड़ी चारि बजे टनटन कऽ रऽ लगलनि ताहि संग पंडित जी प्रवेश कयलनि।
(21) पत्र कतेक संख्या पर राखल छल ? Ans:- पत्र दसम संख्या पर राखल छल।
(22) पश्चाति साहित्यिक आकदमीक अध्यक्ष केँ भेलाह ? Ans:- पश्चाति साहित्यिक आकदमीक अध्यक्ष उमाशंकर जोशी भेलाह।
(23) भाषण कतेक मिनट तक भेल ? Ans:- भाषण 45 मिनट तक भेल।
(24) प्रदर्शनिक हेतु कतेक मिनट समय निर्धारित कयने छलाह। Ans:- 20 मिनट
(25) मुदा पंडित जी कतेक समय देलनि। Ans:- मुदा पंडित जी डेढ़ 1½ घंटा समय देलक
(26) प्रदर्शनिक मे कतेक मैथिलीक भाषी छलाह ? Ans:- 500 सँ ऊपर भाषी छलाह।
(27) ओहि समय कें साहित्य अकादेमीक उपाध्यक्ष केँ छलाह ? Ans:- डॉ० राधाकृष्ण छलाह ?
(28) लेखक साहित्य अकादेमीक कोन सभाक सदस्य निर्वाचित भेल Ans:- साहित्य अकादेमीक साधारण सभाक सदस्य निर्वाचित भऽ गेलहुँ।
- लेखक साहित्य अकादेमीक कोन सभाक सदस्य निर्वाचित भेल => साहित्य अकादेमीक साधारण सभाक सदस्य निर्वाचित भऽ गेलहुँ।
पाठ - 4 चन्द्रमुखी -> लिली रे
(1) लिली रे कोन कथा लिखने छथि Ans: लिली रे चन्द्रमुखी कथा लिखने छथि
(2) चन्द्रमुखी कहानीक लेखक केँ छथि Ans:> लिली रे
(3) लिली रे केँ जन्म कहिया आओर कतऽ भेलनि ? Ans:> लिली रे केँ जन्म पूर्णिया जिलाक रामनगर गाम मे 26 जनवरी 1933 केँ भेलनि।
(4) मरीचिका पर लेखिका केँ कोन उपाधि भेटलनि ? Ans:> मरीचिका पर लेखिका केँ मैथिली साहित्य अकादेमीक पुरस्कार भेटलनि।
(5) चन्द्रमुखी कथा मे ककर वर्णन कयल गेल अछि । Ans:> चन्द्रमुखी कथा मे लेखिका अत्यंत मार्मिक ढंग सँ संतान स्नेहक चित्र उपस्थित कयने छथि ।
(6) चन्द्रमुखी केँ कतेक संतान छल । Ans:> चन्द्रमुखी केँ एकटा संतान छल ।
(7) चन्द्रमुखी दाईक पतिक देहान्त कहिया भेलनि ? Ans:> चन्द्रमुखी दाईक प्रथम संतानक तीन मास पूर्वहि हुनक पतिक देहान्त भऽ गेलनि ।
(8) चन्द्रमुखी दाई बेटा केँ की चटबैत छली । Ans:> बिनु छौंकल दालिक पानि चटबैत छली ।
(9) चन्द्रमुखी दाई अपन दैयोर सँ की कहलनि ? Ans:> चन्द्रमुखी दाई अपन दैयोर सँ कहलनि जे हम अहाँक कमीज पैंट नित्य साबुन सँ खीचि देब आओर लोहा सेहो कऽ देब । अहाँ हमर बच्चा केँ दू अच्चर पढ़ा देब ।
(10) चन्द्रमुखी कथि लऽ कऽ पारन करैत छलि । Ans:> तुलसी पात लऽ कऽ पारन करैत छलि ।
(11) माछ खएला सँ कि बढ़ैत अछि । Ans:> माछ खएला सँ बुद्धि बढ़ैत अछि ।
(12) फूल केँ कि पसिन छलनि । Ans:> फूल केँ माछ मे आमिलक झोर दऽ कऽ बड़ पसिन छलनि
(13) चन्द्रमुखी हबड़ - हबड़ कि बना कऽ लोलनि । Ans:> चन्द्रमुखी हबड़ - हबड़ नेबो खुदकी जमा कऽ लोलनि ।
(14) फूल केहेन बेटा छलाह ? Ans:> फूल लाखो मे एक बेटा छलाह ।
(15) फूल ओकालति पास कगलाक बाद माय केँ प्रतिमास कतेक टाका पठबैत छलाह । Ans:> फूल ओकालति पास कगलाक बाद पहिने पाँच टाका तकरा बाद दस टाका पठाड़ पठबैत लागल
(16) फूल माय केँ कोन शहर लऽ जाय चाहैत छलाह ? Ans:> मधुबनी
(17) फूल केँ कोन बिसारी गेल छल ? Ans:> फूल केँ कैंसर गेल छल ।
(18) चन्द्रमुखी कथाक सारांश लिखू । Ans:> चन्द्रमुखी कथाक रचियता लिली रे छथि । अहि कहानी मे चन्द्रमुखी एकटा विधवा महिला चन्द्रमुखी वर्णन बड़ मार्मिक ढंग सँ कयल गेल अछि । अट्टा पट्टा चन्द्रमुखी दाई केँ पाँचटा बेटा मुदा पाँचटा बेटा नहि भऽ सकलनि । पहिल संतानक तीन मास पूर्वहि हुनक पतिक देहान्त भऽ गेलनि । चन्द्रमुखी बेटा केँ बिनु छौंकल दालिक पानि चटबैत छलि । आप ओ फूल केँ दू अच्चर पढ़ेवाक लेल अपन देयोर केँ कहलक हम गरीब जन छी । हम अहाँक पैंट सर्ट साबुन सँ साफ कऽ देब आओर लोहा सेहो कऽ देब अहाँ हमर बेटा केँ दू अच्चर पढ़ा देब । चन्द्रमुखी अपन बेटा फूल केँ ओकालति कराब चाहैत छलि । ताहि लेल ओ दिनभरि मजदुर करैत छलि । आओर राति केँ चरखा काटैत छलि । अपन खर्च अदोरि जका खोटि खोटि खर्च करैत छलि । जखन फूल ओकालति करऽ लगलनि तऽ पाँच आ दस टाका पठाबऽ लागल । चन्द्रमुखी दू कट्ठा जमीन किनलनि आओर आमक बाड़ी बनोलनि । हमर पोता पोती आम खएताह । आओर अपन बेटा पुतोहु केँ लेल पक्का घर बनैबाक चाहैत छलि । फूल केँ पेट मे दर्द उठलनि तऽ चन्द्रमुखी कहलक जे अहाँ डॉक्टर सँ दिखा लिअ तऽ फूल कहलक जे तोरा बड़ पैसा छौ । डॉक्टर जे कहत से हम जनैत छी जे बुरियाक पूसि । तकरा बाद फूल केँ लगहि मे खून ससऽ लागल जखन डॉक्टर सँ दरबोलक तऽ डॉक्टर कैंसर बतोलक तऽ चन्द्रमुखी अहि सँ ओहि डॉक्टर लग दौड़ऽ लागल । डॉक्टर कहलक जे इ आब तीन मास खेपि सकत । जकर फलस्वरूप फूल केँ मृत्यु भऽ गेल । तऽ चन्द्रमुखी केँ हदास भऽ गेलि । चन्द्रमुखी किछु नहि बजैत छलि । गामक लोक कहलक चन्द्रमुखी होश करु, तऽ चन्द्रमुखी भगवती केँ रह मनपूर छल । तऽ चन्द्रमुखी बाजल जे हमरा भूख लागल अछि हमरा कऽ सुति रहब । आब हम ककरा लेल किछु करब आब हमरा दुनिया मे केँ अछि ।
पाठ - 5 भोजन
(1) भोजनक कहानीक लेखक केँ छथि ? Ans:> राज मोहन झा
(2) राज मोहन झाक जन्म कहिया आओर कतऽ भेलनि ? Ans:> राजमोहन झाक जन्म 27 अगस्त 1934 ई० में वैशाली जिलाक बाजितपुर गाम में भेलनि
(3) राज मोहन झाक पितामहक नाम कि छललाह ? Ans:- जनदिन झा
(4) राज मोहन झाक पिताक नाम कि छललाह ? Ans:- हरिमोहन झा
(5) राज मोहन झाक पहिल पत्रिका कहिया छपल छल ? Ans:- 1953 ई० में पल्लव पत्रिका छपल छल ।
(6) राज मोहन झाक कथा संग्रह कोन छल । Ans:- भूल साँच
(7) राज मोहन झाक कोन निबंध संग्रह छल ? Ans:- भैनहि विद्यापति
(8) राज मोहन झा केँ विदेही पुरस्कार कहिया भेटलनि ? Ans:- 1986 ई० में विदेही पुरस्कार भेटलनि ।
(9) कोन कथा संग्रह पर राज मोहन झा केँ साहित्य अकादेमीक पुरस्कार भेटल छलनि ? Ans:> आइ काल्हि परसू कथा संग्रह पर राज मोहन झा केँ साहित्य अकादेमीक पुरस्कार भेटलनि ।
(10) राजमोहन झा के विदेही पुरस्कार कहिया भेटलनि ? Ans:- 1986 ई० में,
(11) राजमोहन झा केँ साहित्य पुरस्कार कहिया भेटलनि ? Ans:- 1996 ई० में
(12) कोनो सभ्य लोक कतेक बजे खाइत अछि ? Ans:- नौ बजे सँ पहिने नहि खाइत अछि ।
(13) हम कटोरा उठा एके साँस में बचल समटा दूध पीबि गेलहूँ ।
(14) हम तोड़ि दाँत पर देलहूँ ।
(15) रमुआ के छलाह ? Ans:- रमुआ नौकर छलाह
(16) कथा नायक पत्नी केँ छलि ? Ans:- कथानायक पत्नी ममता छलि
(17) ममता की करैत छलीह ? Ans:- ममता कॉपी जाँचि रहल छलीह
(18) ममता रमुआ केँ की आनय कहलैंक ? Ans:- ममता रमुआ केँ पापड़ आनय कहलैंक ।
(19) लेखक कि करैत छलाह ? Ans:- लेखक क्लास लेल नोट तैयार करैत छलाह ।
(20) ममता गुस्सा में आबि लेखक केँ कि कहलक ? Ans:- ममता गुस्सा में आबि लेखक केँ इ कहलक जे सब फिलॉसॉफी अपन राखू
(21) बाबा केँ दुनू साँझ कि अनिवार्य छलनि ? Ans:- बाबा केँ दुनू साँझ ध्यात्रीक चटनी अनिवार्य छलनि ।
(22) मैयाँ कोना उठैत छलि ? Ans:- मैयाँ भूमि पर हाथ रोपि उठैत छलि
(23) मैयाँ बाबा केँ कि कहलक ? Ans:- मैयाँ बाबा केँ इ कहलक जे थम्हूँ दही नेने अबैत छी
(24) बाबा मैयाँ केँ कथी तरकारी बनैबाक लेल कहलक ? Ans:- बाबा मैयाँ केँ कहलक जे भाटा साग दऽ कऽ अथवा सजमन मुरई दऽ कऽ बनेबाक लेल कहलक
(25) आइ काल्हि भोजनक अधिकार ककरा हाथ चलि गेल ? Ans:- पति आ पत्नीक हाथ सँ निकलि नौकरक हाथ चलि गेल
(26) ममता ड्राइंग रूम में कि करि रहल छलि ? Ans:- ममता ड्राइंग रूम में कॉपी के जाँचि रहल छलि आओर कॉपी पर नम्बर चढ़बैत छलि
(27) ममता कॉपी पर की चढ़बैत छलि ? Ans:- ममता कॉपी पर नम्बर चढ़बैत छलि ।
(28) भोजन आइ कोन क्रियाक अंतरगत अबैत अछि ? Ans:- भोजन यांत्रिक क्रिया अंतरगत अबैत अछि ।
(29) कथा में ममता छोड़ा ककरा कहने छथि ? Ans:- भोजन कथा में ममता छोड़ा रमुआ केँ कहने छथि
(30) भोजन कथाक सारांश लिखू ? Ans:- भोजन कथाक लेखक राज मोहन झा छथि । अहि कहानी मे नायक लेखक छथि आओर नायिका ममता छथि । अहि कथा में भोजनक वर्णन बड़ नीक ढंग सँ कयल गेल अछि । लेखक क्लासक लेल नोट तैयार करैत छलाह आओर ममता ड्राइंग रूम में कॉपी जाँचि रहल छलि । तऽ ममता लेखक केँ कहैत छथि जे साढ़े आठ बाजि गेल । हमरा कॉलेज जेबाक अछि । अहि लेल खाना खा लिअ । तऽ लेखक कहैत छथि जे कोनो सभ्य लोक नौ बजे सँ पहिने भोजन नहि करैत छथि । ममता कहैत छथि जे इ छोड़ा तऽ नहि उठैत रहैत अछि । कतेक बेर हल्ला करला पर तऽ नहि उठैत अछि । तऽ पानि ढारय पड़ैत अछि । तऽ लेखक कहैत अछि जे अहाँक नाम केँ रखलक ममता । अहाँक नाम तऽ ममता अछि मुदा बड़ निर्दय छी । लेखक कहैत छथि जे केँ रखलक अहाँक नाम ममता तऽ कहैत छथि जे हमरा नहि मन अछि । तऽ लेखक कहैत छथि जे बाबा भोजन करैत छलाह तऽ मैयाँ पंखा लऽ कऽ बैसि केँ डोलबैत रहैत छथि । आओर बाबा केँ पूछैत छलि जे आइ कथि तरकारी खेबाक अछि आओर कोना केँ तरकारी बनायब । सेहो पूछैत छलि । बाबा केँ ध्यात्रीक चटनी बड़ नीक लगैत छलाह । आओर भटा में साग दऽ आओर सजमन में मुरई दऽ कऽ बड़ नीक लगैत छलाह । मैयाँ भूमि पर हाथ रोपि उठैत छलि आओर बजलाह जे थम्हूँ जे दहिलैने अबैत छी । भोजन यांत्रिक क्रिया
(31) ममताक चरित्र चित्रण करू ? Ans:- भोजन कहानी में नायिका केँ रूप में ममताक वर्णन कयल गेल अछि । अहि कहानी मे भोजनक वर्णन कयल गेल अछि । ममता ड्राइंग रूम मे कॉपि जाँचि रहल छलि । तऽ ममता लेखक केँ कहलक जे साढ़े आठ बाजि गेल आ फिर हमरा नौ बजे कॉलेज जेबाक अछि । लेखक कहलक जे कोनो सभ्य लोक नौ बजे सँ पहिले भोजन नहि करैत अछि । ममता कहलक जे रमुआ खाना लगा। जे तुहि खा कऽ सुति रह। तोरे सबेर उठबाक छौ । रमुआ जखन नहि उठैत छल तऽ ममता रमुआक देह पर पानी डारैत छलनि । ताहि पर लेखक कहलक जे केँ रखलक अहाँक नाम ममता नाम तऽ अछि ममता मुदा बड़ निर्दय छी । मुदा अहाँ ई सब फालतू बात कि सोंच लगैत छी । थारी आगा मे राखी कऽ
अध्याय - 12 भरि छीपा भात
(1) भरि छीपा भात कहानीक लेखिका केँ छथि Ans:- भरि छीपा भात कहानीक लेखिका विभारानी छलथिन
(2) विभारानीक जन्म कहिया आओर कतऽ भेल Ans:- विभारानीक जन्म मधुबनी शहर मे 1959 ई० मे भेलनि
(3) मैथिली में विभारानीक कोन कथा संग्रह अछि Ans:- खोइछ सँ निकसल कथा संग्रह अछि
(4) भरि छीपा भात कथाक अन्त कोना अछि Ans:- भरि छीपा भात कथाक अन्त विषाद सँ भेल अछि
(5) विभारानी केँ कोन सम्मान भेटल छल Ans:- साहित्य सम्मान भेटल छल
(6) विभारानीक कोन कोन उपन्यास छल Ans:- कन्यादान, राजा पोखरी में कतेक मकड़ि ।
(7) विभारानीक हिन्दी मे कतेक रचना अछि Ans:- अनेक
(8) विभारानीक अहाँक पाठ्य पुस्तक मे कोन कथा संकलित अछि Ans:- भरि छीपा भात ।
(9) बतहियाक पति छलाह Ans:- बुढ़वा
(10) बतहिया केँ केकटा संतान अछि Ans:- चारिटा संतान अछि
(11) बतहिया केँ की देखबाक लालसा छल Ans:- बतहिया केँ भरि छीपा भात देखबाक लालसा छल
(12) बतहियाक बात पर कोन महिला हँसय लगलि Ans:- बतहियाक बात पर रामपट्टी वाली मुँह माँपि केँ हँसय लगलीह
(13) बतहियाक बोली केहेन छल Ans:- बतहियाक बोली लटपटात आओर तोतराइत छल
(14) भरि छीपा भात कहानीक सारांश लिखू Ans:- भरि छीपा भात कहानीक लेखिका विभारानी छथि । अहि कहानी मे विभारानी एकटा गरीब बतहियाक वर्णन करैत छथि जे बतहिया केँ कहियो भरि छीपा भोजन नहि भेटैत छलीह । किएक तऽ बतहिया केँ चारिटा छौआ पूता छल । ओ ककरो सँ मांगि चागि लबैत छलीह तऽ ओ चारिटा छौआ पूता खा लैत छल । जे बचैत छल ओ बतहिया खा लैत छलीह । बतहियाक पतिक नाम बुढ़वा छल । जे कहियो बतहिया केँ बुढ़वा सँ सुख नहि भेल बतहिया जखन एकटा दुलहिन सँ मंगबाक लेल गेलि । तऽ बतहिया अपन बात में चीनी मिलबैत बजलीह । जे दुलहिन अहाँ केँ तेल लऽ कऽ जाँति देब । आओर जाँत वो करय बुझैत छथि जे दुलहिन अहाँ भरि छीपा भात खएने छी । अहि बात पर दुलहिन बाजल जे इ राक्षस छी गे माय अहि बात पर दुलहिन जे एकर जाँच कयल जाय । जे भरि छीपा भात खाइत अछि कि नहि । तऽ दुलहिन भजल बतहिया केँ भरि छीपा भात बतहिया केँ आनि कऽ देलनि । तऽ बतहिया बाजल जे दुलहिन एतऽ हमरा नहि खा होयत । हमरा दऽ दिअ हम अपन आँगन मे जा केँ खा लेब । फेर दोसर दिन बतहिया दुलहिन केँ कहलक जे दुलहिन लाउ तेल लगा केँ जाँति देबी आओर बतहिया केँ आँखि मे चारिटा चोवन्नी नाची रहल छल । अहि बात पर दुलहिन कहलक जे गे बतहिया काइल जे भात लऽ गेलही तकर तू अचार बनौने । तऽ बतहिया बाजल जे ओ हड़बड़ा गेल । अहि कहानी मे लेखिका अपन समाज मे गरीब लोक कोना जीवैत अछि तकरे वर्णन कयने अछि ।
अध्याय - 6 पर्यावरण
(1) पर्यावरण कहानीक लेखक केँ छथि Ans:- पर्यावरण कहानीक लेखक दिनेश्वर लाल आनन्द छथि ।
(2) दिनेश्वर लाल आनन्द जन्म कहिया आओर कतऽ भेलनि Ans:- दिनेश्वर लाल आनन्दक जन्म सितम्बर 1936 ई० में सहरसा जिलाक महिषी गाममे भेल
(3) दिनेश्वर लाल आनन्द हिन्दी मे कोन पोथी लिखलनि Ans:- बालक आ चन्नू मुन्नू
(4) बाल साहित्यक लगभग कतेक पोथी लिखलनि Ans:- दू दर्जन पोथीक रचियता छथि
(5) पर्यावरणक कि अर्थ होइत अछि Ans:- पर्यावरणक अर्थ वातावरण होइत अछि
(6) पर्यावरण ककरा कहल जाइत अछि Ans:- पर्यावरण ओकरा कहल जाइत अछि । जे मनुष्य हो वा पशु गाछ वृक्ष हो वा घास पात सभमे जीवन होइत छैक । जीवनी शक्ति होइत छैक । एहि जीवनी सुरक्षाक हेतु एक प्रकारक वातावरणक आवश्यकता होइत छैक । ओकरे पर्यावरण कहल जाइत छैक
(7) कोन चीज बिना लोक एक दुघंटो धरि जीवित नहि रह सकैत अछि । Ans:- हवा
(8) पर्यावरण केँ स्वच्छ रखबाक लेल सर्वाधिक उपयोगी कि अछि Ans:- गाछ - वृक्ष
Lesson - 7 भारतीय सँविधान निर्माता डॉ० बी० आर० अम्बेडकर
(1) जीवनमे उतार चढ़ाव प्राकृतिक नियम छैक
(2) महार जाति अस्पृश्य बुझल जाइत रहैक
(3) प्रतिभावान अम्बेडकर 1912 में अर्थशास्त्र आ राजनीतिक डिग्री हासिल कयलनि ।
(4) अम्बेडकरक जन्म कहिया आ कतऽ भेलनि । Ans:- 14 अप्रैल 1891 ई० कें सैनिक छावनी मौहवा में भेलनि ।
(5) डॉ० भीम राव अम्बेडकरक कोन नाम सँ विख्यात छल Ans:- बाबा साहब नाम सँ विख्यात छल
(6) भीम राव पिताक नाम कि छल Ans:- रामजी सकपाल
(7) भीम राव क माताक नाम कि छल Ans:- भीमा बाई
(8) रामजी सकपाल केँ कतेक पुत्र छलाह आओर कोन कोन नाम लिखू Ans:- तीनटा पुत्र छलाह ① बलराम ② आनन्द ③ भीमराव
(9) रामजी सकपाल केँ कतेक पुत्री छलनि Ans:- दू गोट पुत्री छलनि ① मंजुला ② तुलासा
(10) भीम रावक भामक नाम कि छलनि । Ans:- अंबेद
(11) डॉ० भीम राव अम्बेडकर केँ बड़ौदाक गायक बाद सँ कतेक टाका छात्रवृति मिलैत छलाह Ans:- पच्चीस टाका छात्रवृति मिलैत छलाह
(12) भीम रावक पिताक देहावसान कहिया भेलनि Ans:- 2 फरवरी 1912 ई० में
(13) भीम राव अम्बेडकर केँ गायक बाद कतेक डॉलर छात्रवृति प्रतिमाह भेटैत छलाह Ans:- साढ़े ग्यारह डालर छात्रवृति प्रतिमाह उच्च शिक्षा अध्ययन लेल भेटैत छलाह
(14) डॉ० भीम राव अम्बेडकर केँ पी एच डीक उपाधि कहिया भेटलनि Ans:- 1916 ई० में
(15) डॉ० भीम राव अम्बेडकर भारत कहिया वापिस भेलाह Ans:- प्रथम विश्व युद्ध 1914 ई० में भारत वापस अयलाह ।
(16) डॉ० भीम राव अम्बेडकर जर्मनी में कतेक मास बितौलनि Ans:- तीन मास
(17) डॉ० भीम राव अम्बेडकर गवर्नमेंट लॉ कॉलेज मे कि नियुक्त भेलाह आओर कहिया लिखू Ans:- 1935 ई० कें प्रिंसिपल नियुक्त भेलाह ।
(18) डॉ० भीम राव अम्बेडकर व्यक्तिगत पुस्तकालय में कतेक पुस्तकक संग्रह छलनि Ans:- पचास हजार सँ बेसि ।
(19) भारत स्वतंत्र कहिया भेल Ans:- 15 अगस्त 1947 ई० कें भेल
(20) 29 अगस्त कें डॉ० भीम राव अम्बेडकर कि नियुक्त भेलाह Ans:- भारतीय संविधान प्रारूप कमिटीक चेयरमैन नियुक्त भेलाह
(21) 1952 ई० में भीमराव अम्बेडकर लोकसभा चुनाव में कोन प्रव्यासी सँ लड़लनि । Ans:- निर्दलीय प्रव्यासी सँ लड़लनि
(22) डॉ० भीम राव अम्बेडकर दोसर विवाह ककरा सँ कयलनि Ans:- सविता सँ
(23) डॉ० भीम राव अम्बेडकर केँ देहावासान कहिया भेलनि । Ans:- 6 दिसम्बर 1956 ई० कें भेलनि
(24) डॉ० भीम राव अम्बेडकर केँ भारत रत्नक उपाधि कहिया भेटल Ans:- 1990 ई० में
(25) भीम राव सँ भीमराव अम्बेडकर कोना भेलाह । Ans:- भीम रावक सँ भीमराव अम्बेडकर अहि तरहें बनल कि हुनक गाम नाम छलनि अंबेद एकटा ब्राह्मण शिक्षक क सलाह पर हुनक नाम अम्बेडकर रखलनि ।
(26) संयुक्त राष्ट्र अमेरिका में उच्च शिक्षा अध्ययन हेतु हुनका छात्रवृति व्यवस्था कयने छलाह Ans:- साढ़े ग्यारह डॉलरक छात्रवृति व्यवस्था कयलनि ।
(27) डॉ० भीमराव अम्बेडकर संविधान प्रारूप कमिटीक चेयरमैन कहिया नियुक्त भेलाह Ans:- 29 अगस्त 1947 ई० कें भेलाह ।
(28) डॉ० भीम राव अम्बेडकर जन्म कहिया आ कतऽ भेलनि Ans:- डॉ० भीम राव अम्बेडकर जन्म 14 अप्रैल 1891 ई० में सैनिक छावनी मौहवा में हिन्दू महार जाति में भेल छलनि
(29) भाग्यनारायण झाक जन्म कहिया आ कतऽ भेलनि Ans:- दरभंगा जिलाक कारज गाम मे 12 फरवरी 1941 ई० कें भेलनि
(30) भाग्य नारायण झा कथि सँ जुड़ल छलाह Ans:- आर्यावर्त एवं हिन्दुस्तानक अलावा दिनमान सँ जुड़ल छलाह
(31) भारतीय संविधान निर्माण डॉ० भीम राव अम्बेडकर कहानीक लेखक केँ छथि Ans:- भाग्य नारायण झा
(32) भाग्यनारायण झाक एकांकी संग्रह कोन अछि Ans:- सोनक ममता
(33) भाग्यनारायण झाक सामाजिक नाटक कोन छथि Ans:- मनोरथ
(34) भारतीय संविधान लिखवाक भार किनका भेटलनि । Ans:- डॉ० भीम राव अम्बेडकर केँ भेटलनि
- सप्रसंग व्याख्या कीजिये ।
(i) लीक-लीक गाड़ी चलाय लीकी चलय कपूत लीक छाड़ि तीनू चलय शायर, सिंह, सपूत । Ans:- ई पाँती भीम राव अम्बेडकर कहानी सँ लेल गेल अछि । अहि कहानीक लेखक भाग्यनारायण झा छथि । ओ अपन कहानी में लिखने छथि जे लीक लीक गाड़ी चलय लीकी चलय कपूत एकरे अर्थ होइत अछि जे खराब बेटा नीक रास्ता धँ कऽ नहि चलैत अछि आओर लीकि छाड़ि तीनू चलय शायर सिंह सपूत आ एकर अर्थ होइत अछि जे नीक बेटा अपन रास्ता धँ कऽ चलैत अछि । अहि लेल भाग्यनारायण झा भीम राव अम्बेडकर सन बेटा के वर्णन कयने छथि अहि में ओ अपन कहानी लिखने छथि जे जहिना भीम राव अम्बेडकर भारत देश केँ लेल बहुत कुछ केलक ओहिना हमरा लोकनिक केँ भारत देश केँ लेल करबाक चाहि ।
(ii) यशस्वी सः जीवति Ans:- ई पाँती कहानी भीमराव अम्बेडकर कहानी सँ लेल गेल अछि । अहि कहानीक लेखक भाग्य नारायण झा छथि । ओ कहैत छथि जे व्यक्ति नीक कर्तव्य करि केँ अहि दुनिया मे अमर भऽ जाइत अछि । भाग्यनारायण झा अपन कहानी में लिखने छथि जे यश कमाबै वाला व्यक्ति सदीखन जीवित रहैत अछि जेना भीम राव अम्बेडकर अमर अछि तहिना हम सब नीक करब तऽ हमरा सब कऽ नाम अमर रहत ।
(9) मलमूत्र यत्रतत्र त्याग करब लोकक प्रदूषण मुख्य कारण छिक
(10) गाछ वृक्ष हमर धार्मिक आ सांस्कृतिक जीवनक अंग बनी गेल
(11) वायुक बाद सबसँ दोसर सबसँ महत्वपूर्ण वस्तु कि छिक Ans:- जल
(12) मनुष्यक हेतु कोन गैस आवश्यक अछि Ans:- मनुष्यक हेतु ऑक्सीजन आवश्यक अछि ।
(13) हमरा लोकनिक कोन गैस छोड़ैत छी Ans:- हमरा लोकनिक कार्बनडाइऑक्साइड छोड़ैत छी
(14) पर्यावरणक तीन मुख्य अंग कोन कोन अछि Ans:- पर्यावरणक तीनटा मुख्य अंग अहित रहें बतावल गेल अछि ताहि मे पहिल मुख्य अंग बतात अछि आओर दोसर अंग पानि अछि आ तेसर अंग वनस्पति प्रकृति ई तीनु वस्तु प्रत्येक जीव लेल जरूरी अछि ।
(15)
Lesson - 8 क्रैक
(1) क्रैक कहानीक लेखक केँ छथि Ans:- उमाकान्त
(2) उमाकान्तक जन्म कहिया आओर कतऽ भेलनि Ans:- मधुबनी जिलाक दंगा (हरिपुर) गाम मे 11 जनवरी 1945 ई० कें भेलनि
(3) उमाकान्त केँ कथि सँ पी एच डी कयलनि Ans:- सीताक चरित्र पर पी एच डी कयलनि
(4) क्रैक कथा कोन पत्रिका सँ लेल गेल अछि Ans:- आरम्भ पत्रिका सँ लेल गेल अछि
(5) मान लिय जे ओकर नाम - क्रैक भेल
(6) अरपर गबैत खूब रेस में टेम्पु चलबैत रहै
(7) - क्रैक - गाड़ी स्टार्ट कय लिय पड़ल
(8) क्रैक हरदम कि चिझरने रहैत छलाह Ans:- क्रैक हरदम दाँत चिझरने वती सी दिखबैत छलाह ।
(9) क्रैक बेसी काल कोन भाषा बजैत छलाह Ans:- एकछाहा मैथिली
(10) क्रैक कि चलबैत छलाह Ans:- टेम्पो
(11) टेम्पो चालक नाम कि अछि Ans:- क्रैक
(12) टेम्पो चालक क्रैक नाम सँ जानल जाइत छथि कियैक Ans:- टेम्पो चालक क्रैक नाम सँ अहि लेल जानल जाइत छलाह कि ओ सदिखन अरदर बजैत बतीसी देखबैत टेम्पो चलबैत छलाह । आओर सभ केँ सरै कहैत छलाह नैना हो वा बूढ़ा वा जवान सभ केँ सरै कहैत छलाह अहि लेल सभ हुनका क्रैक नाम सँ जानैत छलाह
(13) क्रैक समदर्शी अछि । कोना Ans:- क्रैक समदर्शी अहि लेल कहल जाइत छलाह । जे ओ समय केँ आओर भाव एकसमान करैत छलाह । मौगी हो वा नैना वा युवक वा बूढ़ा सभ केँ सरै कहैत छलाह आओर किनको सँ बेसी टाका नहि लैत छलाह । आओर समयक मोटा चोटा अपनहि सँ टेम्पो पर लादि आओर उतारि दैत छलाह कतकर टाका नहि लैत छलाह । अहि लेल क्रैक समदर्शी छलाह
(14) क्रैक कोना एकटा महिलाक इज्जति बचौलक ? Ans:- क्रैक एकटा महिलाक इज्जति अहि तरहें बचौलक जे ओ टेम्पो लऽ कऽ लहेरिया सराय जाइत छलाह । तऽ एकटा नव युवती महिला टेम्पो पर चढ़ल । किछु कालक बाद चलैत टेम्पो पर एकटा लफुआ छोड़ा क्रैक लग जा कऽ बैसि गेल । ओ लफुआ छोड़ा नव युवती महिलाक बगल में उडि केँ बैसि गेल । लफुआ छोड़ा केँ बेसि तहि महिलाक ओढ़ कऽ सियाह भऽ गेल । ओकर आँखि सहारा माँगि रहल छलाह । तऽ क्रैक टेम्पो रोकि लफुआ छोड़ा कहलक जे हमरा टेम्पो सँ उतरि जो नहि तऽ हम हल्ला करबौ । अहि बात पर लफुआ छोड़ा क्रैक केँ कहलक जे टेम्पो सहित तुमको भोगब कर देबै अहि बात पर क्रैक हल्ला कयलक जे दौरै जाहो लोक सभ तऽ लफुआ छोड़ा भागि गेल । अहि तरहें क्रैक एकटा महिलाक इज्जति बचौलक ।
अध्याय - 9 - भारतीय संविधानक रूपरेखा
(1) डॉ० रत्नेश्वर मिश्रक जन्म कहिया आओर कतऽ भेलनि Ans:- डॉ० रत्नेश्वर मिश्रक जन्म एक फरवरी 1945 ई० में पूर्णिया जिलाक बिष्णु पुर गाम मे भेलनि ।
(2) डॉ० रत्नेश्वर पहिले कि भेलाह Ans:- इतिहासकार
(3) डॉ० रत्नेश्वर मिश्र बाद में कि बनलाह Ans:- डॉ० रत्नेश्वर मिश्र बाद में मैथिली साहित्यक रचनाकार बनलाह
(4) सिपाही विद्रोह कहिया भेल Ans:- 1857 ई० में
(5) बंग भंग आन्दोलन कहिया भेल Ans:- 1905 ई० में
(6) भारतीय राष्ट्रीय कांग्रेसक स्थापना कहिया भेल Ans:- 1885 ई० में
(7) कांग्रेसक स्थापना केँ कयलनि Ans:- अवकाश प्राप्त अंग्रेज आई० सी० एस० अधिकारी ए० ओ० ह्यूम कयलनि ।
(8) हिन्दुस्तानक सम्राट ककरा घोषित कयल गेलनि । Ans:- बहादुरशाह द्वितीय केँ हिन्दुस्तानक सम्राट घोषित कयल गेलनि
(9) कांग्रेसक प्रथम अध्यक्ष केँ बनलाह Ans:- डब्ल्यू सी० बनर्जी केँ कांग्रेसक प्रथम अध्यक्ष बनलाह
(10) कांग्रेसक विभाजन आ सूरत अधिवेशन कहिया भेल Ans:- 1907 ई० में
(11) बंगाल विभाजन कहिया भेल Ans:- 1905 में
(12) कांग्रेस असहयोग आन्दोलन केँ कहिया स्वीकार कयलनि Ans:- 1920 ई० में
(13) भारत स्वतंत्र कहिया भेल Ans:- 15 अगस्त 1947 कें स्वतंत्र भेल
(14) भारत छोड़ो आन्दोलन कहिया भेल Ans:- 1942 ई० में
(15) भारत में गणतंत्रक स्थापना आ भारतीय संविधान कहिया भेल Ans:- 26 जनवरी 1950 ई० में
(16) भारतीय संविधान में कतेक अनुच्छेद अछि Ans:- 395 अनुच्छेद
(17) भारतीय संविधान में कतेक अनुसूचि अछि Ans:- 10 अनुसूचि
(18) भारतीय संविधान में कतेक खंड अछि Ans:- 22 खंड अछि
(19) भारतीय संविधान में कतेक पृष्ठ अछि Ans:- 400 पृष्ठ अछि
(20) भारतीय संविधान बनबा में कतेक दिन लागल Ans:- 2 बर्ष 11 महिना 18 दिन
(21) मौलिक अधिकार ककरा कहल जाइत अछि ? Ans:- संविधान में सभ नागरिकक लेल अधिकार देल गेल जे सभ नागरिकक भारतक प्रधानमंत्री, मुख्यमंत्री, राष्ट्रपति बनि सकैत अछि तकरा स्वतंत्रताक मौलिक अधिकार कहल गेल अछि
(22) संशोधन द्वारा अधिकार संग नागरिकक कतेक मूल कर्तव्य जोरि देल गेल Ans:- 10 मूल कर्तव्य सूची में सेहो जोरि देल गेल
(23) संविधान सभा में प्रारूप समितिक अध्यक्ष केँ छलाह Ans:- संविधान सभा में प्रारूप समितिक अध्यक्ष डॉ० भीम राव अम्बेडकर छलाह
(24) भारतक संविधान लिखित अछि वा अलिखित Ans:- भारतक संविधान लिखित अछि ।
(25) कोन सैनिक मेरठक सैनिक छावनी में विद्रोह कयने छलाह Ans:- मंगल पाण्डे मेरठक सैनिक छावनी में विद्रोह कयने छलाह
(25) भारत छोड़ो आन्दोलनक वर्णन करू Ans:- हमर देश अंग्रेजक अधीन में छल । द्वितीय विश्वयुद्ध केँ संग भारतीय स्वतंत्रता गति में तेजी आबि गेल । 1942 ई० में अंग्रेज भारत छोड़ू क नारा देल गेल आ अन्ततः अंग्रेज केँ भारत छोड़ि पड़लैक । भारत स्वतंत्र भेल आ अपन संविधान अनुसार शासन तंत्र क शुरू आत करबाक अवसर भारतवासी केँ भेटलनि । आओर 15 अगस्त 1947 ई० कें भारत स्वतंत्र भऽ गेल आओर 26 जनवरी 1950 कें भारतीय गणतंत्रक स्थापना अछि ।
(26) भारतीय स्वतंत्रता संग्राम पर एकटा छोट निबंध लिखू Ans:- स्वतंत्रता मानव जाति जन्म सिद्ध अधिकार छैक । एकरा प्राप्त करबाक लेल संघर्ष आओर बलिदान आ त्यागक आवश्यकता होइत छैक । भारतक लोक सभ दुर्बलताक कारण ई गुलाम भेल छल । तकरा बाद अपना केँ संगठित भऽ अंग्रेज केँ भारत छोड़ि केँ भागऽ पड़ल । ई संघर्ष 1857 सिपाही विद्रोह सँ आरम्भ भेल । एहि में मेरठ में सैनिक मंगल पाण्डे स्वतंत्रताक लेल बन्दूक उठौलनि आ एकर आवाज सम्पूर्ण भारत में पसरि गेल । दिल्ली में बहादुरशाह द्वितीय अपनो केँ हिन्दुस्तानक सम्राट घोषित कए देलक । बिहार में
अध्याय - 10 महेन्द्र मलंगिया लेमराह अन्हारमे एकटा इजोत
(1) लेमराह अन्हार में एकटा इजोत एकांकीक लेखक केँ छथि Ans!- महेन्द्र मलंगिया
(2) महेन्द्र मलंगियाक जन्म कहिया आओर कतऽ भेलनि Ans!- महेन्द्र मलंगियाक जन्म मलंगिया (मधुबनी) में 20 जनवरी 1946 ई० में भेल अछि
(3) महेन्द्र मलंगिया केँ कोन पुरस्कार भेटल छलनि Ans!- यात्री चेतना पुरस्कार भेटल छलनि
(4) मंच पर कतेक दृश्य बनल छल Ans!- मंच पर चारिटा दृश्य बनल छल
(5) चाहक पाइ केँ देलनि Ans!- चाहक पाइ मास्टर सोहब देलनि
(6) कोइलक चूलिह पर टूटा चाहक कतेक चढ़ल छल
(7) घोड़ा कहिया पाउज करैत छैक
(8) शान्ति निकेतन कतऽ अछि Ans!- शान्ति निकेतन बंगालक बोलपुर में अछि
(9) शान्तिनिकेतनक अर्थ कि होइत अछि Ans!- शान्तिनिकेतनक अर्थ शान्तिक घर होइत अछि
(10) छात्र सभ कोन चीज पर बैसल अछि Ans!- छात्र सभ बोरा पर बैसल छल
(11) बीचबाला दृश्य में पढ़ाई कतय होइत छल Ans!- बीचबाला दृश्य में पढ़ाई गाछक तर में होइत छल
(12) शान्तिनिकेतनक स्थापना केँ कयलनि Ans!- रविन्द्र नाथ ठाकुर
(13) विश्व कवि ककरा कहल जाइत अछि Ans!- रविन्द्र नाथ ठाकुर केँ विश्व कवि कहल जाइत अछि
(14) चाह पान केँ बना कऽ देलनि Ans!- ग्रामीण सात चाह पान बना कऽ देलनि मास्टर सोहेब चाह बनेबाक लेल आदेश देलनि
(15) ग्रामीण समस्या पर एकटा निबन्ध लिखू Ans!- ग्रामीणक सबसँ पैघ समस्या स्कूलक घर छलाह । स्कूलक घर नहि रहला सँ नैना सभ केँ पढ़ाइ में बड़ दिक्कत छलाह । जखन बरखा अबैत छल तऽ बच्चा आओर मास्टर साहेब सभ गोटे मिलि केँ भागैत छलाह । एक दिन जखन फुहि आएल तऽ बच्चा सभ अपन अपन पोथी लऽ कऽ भागल आओर मास्टर साहेब ग्रामीण एक केँ ध्याण पर गेलाह तऽ ग्रामीण एक बजलाह जे हम नहि पढ़ब देब तखन मास्टर साहेब बजलाह जे हम पढ़बै लेल नहि आबि रहल छी बरखा अबैत अछि ताहि लेल हम आबि रहल छी । तखन ग्रामीण एक बजलाह जे बर्षा नहि आएल आओर अहाँ बच्चा सभ केँ छुट्टी तऽ देलयनि । एक रति फुहिसँ बच्चा केतऽ देह नहि गलि जेतनि । कहावत अछि जे चिलका लाथे चिलकाउर जीवैत अछि । तकरा बाद मास्टर साहेब ग्रामीण मे बेसाद कयलनि
अध्याय - बाबाक आत्मीयता अशोक 11
(1) बाबाक आत्मीयताक कहानीक लेखक केँ छथि Ans!- बाबाक आत्मीयताक कहानीक लेखक अशोक छथि
(2) अशोक केहेन रचनाकार छथि Ans!- अशोक मैथिलीक यशस्वी लोकधर्मी रचनाकार छथि
(3) अशोकक जन्म कहिया आओर कतऽ भेल Ans!- अशोकक जन्म मधुबनी जिलाक लोहना गाम में 18 जनवरी 1933 कऽ भेलनि
(4) अशोक कतेक विधा में रचना कयने छथि Ans!- अशोक अनेक विधा में रचना कयने छथि ।
(5) अशोक कोन निबन्ध समीक्षा अछि Ans!- पृथ्वी पुत्र
(6) बाबाक आत्मीयता कतऽ सँ लेल गेल अछि Ans!- अशोकक मैथिल आँखि सँ लेल गेल अछि
(7) बाबाक नाम कि छल Ans!- बाबाक नाम केशव दास छल
(8) भोजपुर इलाका में ब्राह्मण केँ कि कहल जाइत छलाह Ans!- भोजपुर इलाका में ब्राह्मण केँ बाबा कहल जाइत छलाह
(9) बाबा कि बनि केँ पोता पोती केँ खेलबैत छलाह Ans!- हाथी घोड़ा बनि केँ पोता पोती केँ खेलबैत छलाह
(10) बाबा केहेन कविता लिखने छथि Ans!- मारनक कविता
(11) बाबा केँ कि पसिन छलाह Ans!- गाछ विरिछ
(12) बाबा केँ कोन मास प्रिय रहनि Ans!- अगहन मास
(13) बाबाक लोक केँ सभ छलाह Ans!- बाबाक लेल तऽ मिथिलाक विपन्न दलित किसान सभ छथि
(14) बाबा केँ छलाह Ans!- बाबा यात्री छलाह
(15) बाबा कथि पर बैसल रहैताह Ans!- बाबा पुरैनिक पात पर बैसल सभ केँ देखैत रहैताह
(16) बाबा कि हेता Ans!- बाबा मरखान हेता
(17) बाबा हमरा लोकनिक लेल कि छथि Ans!- बाबा हमरा लोकनि लेल यात्री छथि
(18) सौसे देशक लोक बाबा कोन नाम सँ जानल जाइत छलाह Ans!- सौसे भारत यात्री नागार्जुन नाम सँ जनैत छलाह
(19) हमरा लोकनि केँ आत्मीयता ककरा सँ सिखबाक चाही Ans!- हमरा लोकनि केँ आत्मीयता बाबा सँ सिखबाक चाही
(20) बाबा केँ बहुतरास बात पसिन नहि छलनि
(21) बाबा केँ गाछ विरिछ बड़ पसिन छलाह
(22) पंडित सरा प्रत्येक तरहक चश्मा लगा कऽ हुनका देखलनि
(23) बाबाक आत्मीयता कथि सँ लेल गेल अछि Ans!- बाबाक आत्मीयता अशोकक मैथिल आँखि सँ लेल गेल अछि
(24) बाबा कहयब हुनका कि लगैत छलनि Ans!- बाबा कहयब हुनका नीक लगैत छलनि जखन लोक हुनका बाबा कहैत छलनि तऽ ओ फूली केँ कुप्पा मऽ जाइत छलाह
(25) बाबा कथि सँ प्रेम करैत छलाह Ans!- बाबा मिथिला सँ प्रेम करैत छलाह
(26) बाबा कि छलाह Ans!- बाबा एकटा खेतिहार छलाह
(27) बाबाक आत्मीयता सँ की तात्पर्य अछि Ans!- बाबाक आत्मीयता सँ इ तात्पर्य अछि जे बाबा हमरा लोकनि लेल यात्री छथि सौसे देशक लेल हुनका यात्री नागार्जुन नामे जनैत छलाह । बाबा केँ कणको परिवार छलाह । बाबाक परिवार गरीब लोक छलाह । ओ अपन दिल सँ मास धरि विपन्न केँ संग में रहैत छलाह । बाबा हमरा लोकनि केँ नीक नीक बात समझबैत छलाह । बाबा केँ ई आत्मीयता कतऽ सँ अयलाह । ई आत्मीय वाला लोक दुनिया में कम्मे होइत अछि इ आत्मीयता हमरा लोकनि केँ बाबा सँ सिखबाक चाही
(28) बाबा केँ की सभ पसिन छलनि Ans!- बाबा केँ बहुतरास बात पसिन छलनि सबसँ बेसि गाछ विरिछ पसिन छलनि । मेघ देखि कऽ ओ उमंग में नाच लगाथि अगहन मास हुनका प्रिय रहनि ।
माँ का आशीर्वाद पद्य खण्ड मैथिली
(1) शिवगीत कविताक कवि केँ छथि Ans:- शिवगीत कविताक कवि विद्यापति छथि
(2) मैथिली में सब सँ बेसी लोकप्रिय रचनाकार केँ छथि Ans:- मैथिली में सब सँ बेसी लोकप्रिय रचनाकार विद्यापति छथि
(3) विद्यापतिक जन्म कहिया आओर कतऽ भेलनि Ans:- विद्यापतिक जन्म मधुबनी जिलाक विस्फी गाम मे 1350 ई० मे भेलनि
(4) विद्यापतिक कतेक भाषा में रचना कयने छथि आओर कोन कोन लिखू Ans:- विद्यापति तीन भाषा मे रचना कयने छथि (1) संस्कृत (2) मैथिली (3) अवहट्ट
(5) संस्कृत भाषा मे विद्यापतिक कतेक पोथी उपलब्ध अछि Ans:- संस्कृत भाषा मे विद्यापतिक एक दर्जन पोथी उपलब्ध अछि
(6) अवहट्ट भाषा मे विद्यापतिक कतेक पोथी अछि आओर कोन कोन लिखू Ans:- अवहट्ट भाषा मे विद्यापतिक दूटा पोथी अछि (i) कीर्तिलता (ii) कीर्तिपताका
(7) मैथिली भाषा मे विद्यापति कतेक गीत लिखने छथि Ans:- मैथिली भाषा मे विद्यापति एक हजार गीत लिखने छथि
(8) विद्यापतिक निधन कतेक वर्षक अवस्था मे भेलनि Ans:- विद्यापतिक निधन मृत्यु नब्बे वर्षक आयु मे भेलनि
(9) शिव खेतक पटौनी कोना करताह Ans:- शिव खेतक पटौनी जटा में गंगा अछि ओहि सँ खेतक पटौनी करताह
(10) कवि शिव केँ की करबाक लेल कहैत छथि Ans:- कवि शिव केँ खेती करबाक लेल कहैत छथि
(11) शिवक पूजा की लऽ कऽ होइत अछि Ans:- शिवक पूजा आक धतुरक फूल लऽ कऽ होइत अछि
(12) विष्णुक पूजा कोन फूल सँ होइत अछि Ans:- विष्णुक पूजा चम्पा फूल सँ होइत अछि
(13) कवि शिव केँ हर कोना बनयबाक लेल कहैत छथि Ans:- कवि शिव केँ अहि तरहें बनयबाक लेल कहैत छथि कि खटड काटि हर तिरसूल तोरिभ फार आओर बसह लऽ पुरन्धार तोहे जटा में गंगा अछि ओहि सँ पटौनी करिय अहि तरहें खेती करबाक लेल कहैत छथि
(14) शिवगीत मे कवि विद्यापति शिव केँ खेती करबाक लेल अहि लेल कहैत छथि Ans:- जे खेती केला सँ कोनो लज्जा नहि छथि । आओर भीख माँगे वाला केँ गरीब लोक निंदा करैत अछि अहि लेल हे शिव अहाँ कृषि करू मन लगाइ
(15) निम्न पाँतीक सप्रसंग व्याख्या करू (i) निरधन जन जोगि, सबे उपहासए, नहि आदर अनुकम्पा Ans:- ई पाँती शिवगीत कविता सँ लेल गेल अछि अहि कविताक कवि विद्यापति छथि । अहि पाँती में विद्यापति शिव केँ कहैत छथि कि हे महादेव गरीब लोक अहाँ केँ निंदा करैत अछि आओर केओ निरधना केँ आग्रह आओर दया नहि करैत छथि
(ii) खटड काटि हर बन्याजिअ तिरसूल तोरिभ करू फारे बसह पुरन्धार लए हर जोतिअ पटिअ सुरसरि प्यारे Ans:- ई पाँती शिवगीत कविता सँ लेल गेल अछि अहि कविताक कवि विद्यापति छथि । अहि पाँती में विद्यापति शिव केँ कोन काज करबाक लेल कहि रहल छथि तकर वर्णन हम कऽ रहल छी । शिव केँ विद्यापति कहैत छथि जे काठ काटि हर बन्याबैयक लेल आओर तिरसूल तोरि केँ फारि बसहा लऽ कऽ हर जोतबाक लेल कहैत छथि आओर शिवक जटा में गंगा अछि । ओहि
अध्याय - 2 समय साल
(1) समय साल कविताक कवि केँ छथि ? Ans:- समय साल कविताक कवि चन्दा झा छथि ।
(2) चन्दा झाक मूल नाम कि छलनि ? Ans:- चन्दा झाक वास्तविक नाम चन्द्रनाथ झा छलनि ।
(3) चन्द्रनाथ झा मैथिली मे कोन नाम सँ विख्यात छलनि ? Ans:- चन्दा झाक नाम सँ प्रसिद्ध छलनि ।
(4) चन्दा झाक जन्म कहिया आओर कतऽ भेलनि ? Ans:- चन्दा झाक जन्म 20 जनवरी 1831 ई० मे दरभंगा जिलाक पिंडारुच गाम मे भेलाह ।
(5) चन्दा झाक शिक्षा दीक्षा कतऽ भेलनि ? Ans:- चन्दा झाक शिक्षा दीक्षा मधुबनी जिलाक अन्तरगत लाढ़ी गाम मे जेहिनक मातृक गाम छलनि
(6) चन्दा झाक मृत्यु कहिया भेलनि ? Ans:- चन्दा झाक मृत्यु 14 दिसम्बर 1907 ई० मे भेलनि
(7) चन्दा झाक ककरा दरबार मे पंडित छलाह ? Ans:- चन्दा झा महाराज लक्ष्मेश्वर सिंह तथा रामेश्वर सिंहक राजदरबारक पंडित रहथि
(8) मिथिला भाषा रामायणक रचियता केँ छथि ? Ans:- मिथिला भाषा रामायणक रचियता चन्दा झा छथि ।
(9) कवियों मे कविवर ककरा कहल गेल अछि ? Ans:- कवियों मे कविवर चन्दा झा केँ कहल गेल अछि ।
(10) समय साल कविता मे कवि चन्दा झा कि रोकबाक वर्णन कयने छलाह ? Ans:- समय साल कविता मे कवि चन्दा झा बाढ़ि रोकबाक वर्णन कयने छथि ।
(11) भदइया फासल कोन मास मे होइत अछि ? Ans:- भदइया फासल भादो मास मे होइत अछि ।
(12) छहर ककरा कहल जाइत अछि ? Ans:- ऊँचि ऊँचि केँ झारि बान्हल जाइत अछि तकरे छहर कहल जाइत अछि ।
(13) छहरक निर्माण कोन उद्देस्यक लेल कयल जाइत अछि ? Ans:- छहरक निर्माण पानि केँ रोकबाक लेल कयल जाइत अछि ।
(14) बाढ़ि मे गाम दहा गेलाक बाद किसानक दिन कोना कटैत अछि ? Ans:- बाढ़ि मे गाम दहा गेलाक बाद किसानक दिन हाय - हाय कें कटैत अछि आओर बाल बच्चा मिलि करै हाय - हाय हृदय जनु फाटैत अछि ।
(15) कमला मायक पूजा पानि केँ कोन उद्देस्यक लेल कहल जाइत अछि ? Ans:- कमला मायक पूजा पानि केँ समेटबाक लेल कयल जाइत अछि । जे समटू - समटू जल कमला मायाँ करू जनु एहन देबि अन्याय ।
Ans:- अगहन मास में सभ जन माणदूर किसानक घर अन्न सँ भरि जाइ छै । पोखर माछ भरवाल बाबा केँ बड़ नीक लगैत असल में बाबा एकटा खेतिहार छलाह । खेत हुनका मन में रचल बसल छल । कोदारि खुरपी हर खेती में काज आबय वाला औजार सभ ओ कहियो नहि बिसरि सकला आओर छोट नवजात गछुली केँ स्वस्थ बनबैत छलाह जेह नवजात गछुली विशाल वृक्ष बनता धरती सुन्दरता बढ़ाओता । बाबा सुन्दर धरती चाहैत छलाह आओर सुन्दर मनख सेहो चाहैत छलाह ।
(29) बाबा केँ की सभ पसिन नहि छलनि । Ans:- बाबा केँ बहुतरास बात पसिन नहि छलनि ओ ककरो जो नहि बुझैत छलाह । ककरो मोनर देव ओ नहि जनैत छलाह । ओ अपन समान सभ केँ बुझैत छलाह । हुनका एकोरती जमत बरदास्त नहि रहनि । समाज दिस सँ ओ चुनौती दैत छलाह । गरीबक लेल ओ ककरो सँ भेरि सकैत छलाह । बाबा गरीबक आ विपन्नक मित्र छलाह । समाजी छलाह ।
(30) आत्मीयता हुनका में कतऽ सँ अयलि । Ans:- आत्मीयता हुनका मे अपन लोक संस्कृति सँ मिथिलाक सँ में लोक संस्कृति सँ सब सँ महत्वपूर्ण अवदान आत्मीयता छिक । ई आत्मीयता हमरा लोकनि केँ बाबा सँ सिखबाक चाही अपन लोक संस्कृति सँ सिखबाक चाही ।
(31) निम्न लोकोक्ति केँ वाक्य में प्रयोग करू ① फूलि कऽ कुप्पा होयब - मन केँ आकाश केँ काएब, मन केँ पंच करब ② दाँत पर आँगुर काटब - पछताएब
कहानी बाबाक आत्मीयता अध्याय - 11
(iii) गिरगिट संग रंग बदलत - पछताएब
(32) बाबा सभहक आत्मीयता छथि कोना Ans:- बाबा सभहक आत्मीयता अहि तरहें छथि जे ओ मानवता प्रेमी छलाह । हुनका ककरो सँ द्वेष आओर घृणा नहि छलनि । कोनो वर्ण वा जाति केँ हो ओकर श्वसन देखि बाबा तमशाय जाइत छलाह । आओर ओकर विरोध करैत छलाह । बाबा विपन्नक लेल लोक सँ लड़ि जाइत छलाह । कतहुँ जाइत छलाह तऽ हुनका नैना संगमे खेलबा में हुनका बड़ नीक लगैत छलनि । आओर स्त्रीगण केँ नीक बेजाय बतियायब नीक रास्ता नीक बुद्धि देखायब । बाबा केँ बड़ नीक लगैत छलनि सभ केँ अपन समान बुझैत छलाह । जाहि सँ प्रतीत होइत अछि जे बाबा सभहक आत्मीयता छलाह । अहि तरहें कहल गेल अछि जे बाबा विपन्नक मित्र आओर समाजी छलाह । हुनकर हजारो परिवार रहनि । सदीखन ओ हजारो परिवार केँ बीच में रहैत छलाह आओर हुनकर सुख आओर दुःख केँ बुझैत छलाह ।
अध्याय - 3 भावि भरदुतिया विज्ञान हे,
(1) काशीकान्त मिश्र मधुपक उपनाम कि छल Ans: काशीकान्त मिश्रक उपनाम मधुप जी छल
(2) काशीकान्त मिश्र मधुपक जन्म कहिया आ कतऽ भेलनि Ans:- काशीकान्त मिश्र मधुपक जन्म 2 अक्टूबर 1906 ई० मे कोइलख गाम मे भेलनि
(3) काशीकान्त मिश्र मधुपक मातृक कतऽ छल Ans:- काशीकान्त मिश्रक मातृक कोर्थु गाम मे छलनि
(4) काशीकान्त मिश्रक मृत्यु कहिया भेलनि । Ans:- 20 दिसम्बर 1987 कऽ भेलनि
(5) काशीकान्त मिश्र मधुप केँ कोन उपाधि भेटलनि Ans:- काशीकान्त मिश्र मधुप केँ कवि चूड़ामणि उपाधि भेटल छलनि ।
(6) काशीकान्त मिश्र हिन्दी में कोन गीत लिखलनि Ans:- अपूर्व रसगुल्ला, टटका जिलेबी, पचसैर चौकि चुप्पे , बोलबम आदि पोथी अछि
(7) काशीकान्त मिश्रक दोसर काव्य कोन अछि Ans:- घासल अठन्नी
(8) काशीकान्त मधुप केँ कोन महाकाव्य पर साहित्य अकादेमी पुरस्कार भेटलनि Ans:- राधा विरह महाकाव्य पर काशीकान्त मिश्र मधुप केँ साहित्य अकादेमी पुरस्कार भेटलनि ।
(9) नीपि झलकोलें - घर अङ्गना - दुअरिया
(10) सुनि के साइकिल घंटी पाँखि बिन्दु - आँखिया
(11) भरदुतिया पावनि में किनका नोतल जाइत अछि Ans:- भरदुतिया पावनि मे भैया केँ नोतल जाइत अछि
(12) नोतबाक की विधान अछि Ans:- भरदुतिया पावनि मे नोतबाक ई विधान अछि जे बहिन अरिपन द पीढ़ी पिठार क राखि केँ भैया केँ पान दय नोत दैत अछि । जाहि तरहें यमुना अपन भैया यम के नोत दैत अछि ओहि तरहें हम अपन भैया केँ नोत दैत अछि
(13) बहिन भाइ लेल की वर माँगैत अछि Ans:- बहिन भाइ लेल ई वर माँगैत अछि । जे जा धरि यामुन जल बहत ता धरि हमर भैया जीवऽ पर माडि रहल अछि
(14) भैयाक स्वागत लेल की की ओरियान बहिन कयने छलथिन । Ans:- भैयाक स्वागत लेल बहिन ई सभ ओरियान कयने छलथिन जे मटवर तिलकोर आओर घोठा ओटल दूधक दही पौड़ि केँ ओरियान कयने छलथिन
(15) भैया नहि अयला पर उलहन केँ देलथिन । Ans:- भैया नहि अयला पर हँसि - हँसि केँ ननदिया उलहन देलथिन ।
(16) भावि भरदुतिया विज्ञान हे कविताक भाव स्पष्ट करू Ans:- भावि भरदुतिया विज्ञान हे कविताक कवि काशीकान्त मिश्र मधुप अछि । अहि कविता में भरदुतिया पावनिक वर्णन कयेल गेल अछि । भरदुतिया पावनि में बहिन घर अँगना दुअरिया केँ नीपि झलकोबैत अछि । आओर बहिन चौका लगाय पीढ़ी दऽ हाथ में पान दऽ भैया केँ नोतैत अछि । जाहि तरहें यमुना यम केँ नोतैत अछि वोहि तरहें बहिन भैया केँ नोतैत अछि । बहिन कहैत अछि जे हमरा सोना चाँदी आओर रूपैया नहि चाही हमरा चाही भैया बहिन ई वर माँगैत अछि जे जा धरि यामुन जल बहत ता धरि हमर भैया जीवऽ बहिन भैया लेल पाँपड़ मरवान फेरैत अछि । बहिन केँ मनक बात मनहि रहि गेल । भैया नहि अयला पर बहिन कहैत अछि जे भैया केँ छतिया कठोर फेर बहिन कहैत अछि जे दोष हुनक नहि बिनु मायक नैहरबा अछि । भौजीयक हृदय पाथर अछि । सुनि के साइकिल घंटी बहिन सड़क दिस दौड़ैत अछि । ओ कतेको बेर भुरूज डुबैत भैया केँ बहिया तकैत छल । भैया नहि अयला पर बहिनक हृदय मलिन भऽ गेलनि । बहिन बैठी कऽ हुनका आँखि सऽ कमला बलान जका धार बहऽ लगलनि । आओर बहिन कहैत छथि जे कथि लऽ मटवर तिलकोर तरलियै आओर खुमा ओटल दूधक दही पौड़ि ओरियौलियै । आओर हँसि हँसि केँ ननदिया उलहन देलनि । अन्तमे मधुप जी कहैत छथि जे भैया नहि अयला पर बहिनक हृदय मलिन भऽ गेलनि ।
अध्याय - 4 एऽ आब भेल बर्षा
शब्दार्थ :- (1) मझनी :- दिनक भोजन, मध्यान्ह भोजन (2) उपडाम :- पूर्णरूपेण भरल (3) पहर :- रातिक आलमभाग अर्थात तीन घंटा (4) नयनाभिराम :- देखबामें मनोरम (5) बाझ - बरेख :- ग्रामसँ बाहरक उपजाऊ भूखण्ड आ गाछी विरिछ
(1) एक पहर कतेक घंटा होइत अछि Ans:- एक पहर तीन घंटा होइत अछि
(2) यात्रीक मूल नाम कि छलनि Ans!- यात्रीक मूल नाम बैजनाथ मिश्र यात्री छलनि
(3) बैजनाथ मिश्र मैथिली में कोन नाम सँ जानल जाइत छलनि ? Ans!- बैजनाथ मिश्र मैथिली में यात्री नाम सँ जानल जाइत अछि ।
(4) बैजनाथ मिश्र केँ हिन्दी में कोन नाम सँ जानल जाइत अछि Ans!: बैजनाथ मिश्र केँ हिन्दी में नागार्जुन नाम सँ जानल जाइत अछि
(5) एऽ आब भेल बर्षा कविताक कवि केँ छथि Ans!- एऽ आब भेल बर्षा कविताक कवि बैजनाथ मिश्र यात्री छथि
(6) बैजनाथ मिश्र यात्रीक जन्म कहिया आओर कतऽ भेलनि Ans!- बैजनाथ मिश्र यात्रीक जन्म दरभंगा जिलाक तरौनी गाम में 1911 इसवीक ज्येष्ठ पूर्णिमा दिन भेलनि ।
(7) बैजनाथ मिश्र यात्रीक निधन कहिया भेलनि Ans!- बैजनाथ मिश्र यात्रीक निधन 5.11.1998 कऽ भेलनि
(8) बैजनाथ मिश्र यात्री केँ कोन मैथिली में कतेक उपन्यास प्रकाशित भेल Ans!- मैथिली में हिनक तीनटा उपन्यास प्रकाशित भेल
(9) मैथिली में हिनक कोन - कोन उपन्यास अछि Ans:- चित्रा आ पत्र नग्न गाछ, पारो, नवतुरिया, बलचनमा अछि
(10) बैजनाथ मिश्र यात्रीक कोन कविता संग्रह अछि Ans!- चित्रा आ पत्रहीन नग्न गाछ ।
(11) बैजनाथ मिश्र यात्री केँ कोन कविता संग्रह पर साहित्य अकादेमीक पुरस्कार भेटलनि Ans!- पत्रहीन नग्न गाछ
A
0 Comments
Post a Comment
Please, Don't enter any spam link in the comment box